शनिवार, 18 अगस्त 2012

दिल्ली केर" असाम" बनेबाक षड्यंत्र : गोपाल प्रसाद

म्यामांरक मुस्लिम सभक नाम पर बंग्लादेशसं भारत में घुसपैठ  करनिहार कें शरणार्थीक दर्जा दिलैबाक प्रयास 
               भारतमे रहिक भारत विरोधी तत्व कोन-कोन तरहे देश- विरोधी काज क रहल अछि. इ तत्व गत दिन लगभग  पचीस सय लोकनि कें ल क नव दिल्ली केर वसंत विहार स्थित युनाईटेड नेशंस हाईकमिश्नर फॉर रिफ्यूजी (यू.एन.एच.सी.आर.) केर कार्यालय कें सोझा पहुंचल . यू.एन.एच.सी.आर. केर अधिकारी लोकनि कें बतौलानि जे इ लोकनि म्यामांर केर नादर्न रेखिन स्टेट सं आयल छथि आ रियांग मुस्लिम छथि. म्यामांर केर सरकार इ लोकनि कें ओतय सं खहेड देने अछि . एहि लेल इ लोकनि  बंगलादेश  देने भारत आयल छथि, हिनका शरणार्थीक दर्जा देल जाय. एहि मांगक संग इ सभ लोकनि वसंत विहारक सड़क आ पार्क सभ पर कब्ज़ा करि के दिन धरि जमल रहलाह. हुनक हरकत सं स्थानीय निवासी लोकनि परेशान भ गेलाह आ ओ सभ हिनका लोकनि  कें वसंत विहार सं बाहर करेबाक मांग कयलनि . एकर उपरान्त ६ मई २०१२ कें दिल्लीक किछु मुस्लिम नेता आ मुल्ला मौलवी सभक शह पर प्रशासन इ सभ लोकनिकें वसंतकुंज केर समीप रंगपुरी पहाडी पर राते-रात पहुंचा देलनि. ओतय एकटा धार्मिक स्थल "दादा मैया" अछि. स्थानीय हिन्दू लोकनि में एहि स्थलक बड्ड पैघ मान्यता अछि. पहाड़ी पर एकटा पुरान मजार सेहो अछि. " दादा मैया" स्थलक ओहि लोकनि द्वारा अपवित्र केनाई प्रारंभ क देल गेल. ओतहि मांसाहारी भोजन बनय लागल आ फेर नमाज सेहो पढल जाय लागल. एहि कारने आसपास केर गाम ( नांगल देवत, महिपालपुर, रंगपुरी, मसूदपुर,किशनगढ़, घिटोरिनी, महरौली, कटवारिया सराय , रजोकरी, कापसहेड़ा आदि) केर लोक सभ सेहो भडकि गेलाह. गौआँ सभ कय्यक पंचायत करलाक उपरान्त प्रशासनक कें चेतावनी देलनि जे पहाड़ी सं ओहि मुस्लिम सभ कें हटायल जाय, नहि तं  गौआँ सभ आंदोलन प्रारंभ क देत . एहि सम्बन्ध में गौआँ सभक एकता प्रतिनिधिमंडल दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित सं भेंट कयलनि . चौतरफा दबाबक कारने प्रशासनक माध्यम ओहि मुस्लिम लोकनि कें १५ मई २०१२ कें रंगपहाड़ी  सं हटा देल गेल . ओहि में सं किछु लोकनि उ.प्र. केर मुस्लिम बहुल जिला मुजफ्फरनगर, रामपुर, मेरठ, अलीगढ़ दिस कूच कयलाह. किछु दिल्लीएमे रहि गेलाह. ओ लोकनिक लेल ओखला क्षेत्रक मदनपुर खादरमें किछु मुस्लिम संगठन सभ आशियाना बनेबाक गप कहलनि अछि. 
 
सोचल समझल साजिश :  एतय सवाल उठैत अछि जे बिना कोनों कागजे अवैध माध्यम भारत आयल मुस्लिम सभकें देश सं बाहर पठयबाक बजाय हुनका लोकनि कें भारत केर विभिन्न स्थान पर कियैक रहल देल जाय? एकर जबाब भारत सरकार कखनो नहि द सकल. लुट- पिट क पकिस्तान सं भारत आयल बेचारा हिन्दू सभक लेल सदैव तैयार रहैत अछि. रंग पहाड़ी क आसपास कें निवासी लोकनिक कथन छल जे जाहि मुस्लिम सभक म्यामांरके बताक भारतमे शरणार्थीक दर्जा दिलैबाक कोशिश क जा रहल अछि,ओकर पहचान संदिग्ध अछि. ओहिमें सं एकाध प्रतिशत अवस्से म्यामांरके भ सकैत अछि, मुदा ओहिमे सं अधिकांश बंगलादेशी लगैत अछि. ओहि लोकनि कें बोलचाल आ पहिरावा सं  म्यामांरी कम आ बंगलादेशी  बेसी लगैत अछि. एकर पुष्टि इ सभ गप सं सेहो होयत अछि जे हुनका सभ में एकहुटाक संग एहन कोनों कागद नहि अछि जे साबित क सकय जे ओ लोकनि म्यामांरके छथि. ओ लोकननि के कहनाय इ अछि जे म्यामांर में साढ़े  तीन सय साल पुरान इतिहास अछि, ओकर बाबजूदो ओहि ठामक सरकार हुनका लोकनि कें अप्पन नागरिक नहि मानैत छथि. की एहन भ सकैत अछि? एकर अर्थ इ अछि जे ओ लोकनि म्यामांरके नहि बंगलादेशक रहनिहार छथि. भारतमे  बंगलादेशी वा पाकिस्तानीके म्यामांरक निवासी बताक भारतमे शरणार्थी केर दर्जा प्राप्त करबाक हेतु प्रयासरत छथि. इ सभ किछु एकटा सोचल- समझल साजिश  कें माध्यमे भ रहल अछि . एहि सजिशमे भारत केर अनेक मुस्लिम नेता आ मुल्ला- मौलवी शामिल छथि. एहि सभ बंगलादेशी घुसपैठी सभक कारने आब अनेको मुस्लिम नेता आब इ दावा करय लागल छथि  जे किछुए साल बाद आसाम में कियो मुस्लिमे मुख्यमंत्री होयत. 
   जाहि मुस्लिम कें शरणार्थीक दर्जा दिलयबाक लेल लायल गेल छल, ओकरा बारे में कहल जा रहल अछि जे ओ ४-५ साल सं भारत केर विभिन्न हिस्सा में रहि रहल अछि आ एकर संख्या ८० हजारक समीप अछि .मुजफ्फरपुर , जम्मू आदि शहर सभमे रहनिहार इ मुस्लिम सभकें स्थानीय मुस्लिम सभक पूर्ण समर्थन प्राप्त अछि. चूंकि न्यायालयक आदेश पर कखनो-कखनो पुलिस बंगलादेशी घुसपैठी सभ कें पकड़ेत छथि. शायद एहि  लेल आब जे बंगलादेशी मुस्लिम नुकाक भारत आयब रहल छथि, ओ पुलिस सं बचैबाक लेल शरणार्थीक दर्जा प्राप्त करय चाहैत छथि. 

मदद करनिहार  कें जाँच होवय : यू.एन.एच.सी.आर.कार्यालयक अनुसार इ मुस्लिम सभ सभ्सें पहिने २००९ मे शरणार्थीक दर्जा प्राप्त करय लेल आवेदन कयने छलाह . मार्च २०१२ धरी एहन दू हजार मुस्लिम सभ शरणार्थी कार्ड प्राप्त करबाक लेल आवेदन कयने छल . इ मुस्लिम सभ कें सलाह्कारक सोंच चल जे एक्के संग हजारों लोकनी आवेदन ल क यू.एन.एच.सी.आर.कार्यालय पहुंचत त सरकार पर दबाब बनत आ एहि मुस्लिम सभ कें एकहि झटकामे शरणार्थीक दर्जा भेट जायत , मुदा एहि साजिश में ओ सफल नहि  भ सकलाह. स्थानीय लोकनिक विरोधक कारने प्रशासन ओ मुस्लिम लोकनि के दिल्ली सं बाहर करय पडल. एहि विरोध कें देखैत भेल यू.एन.एच.सी.आर. सेहो एतेक लोकनिकें एकहि संग शरणार्थीक  दर्जा देवय लेल मना क देलक.
                                     विश्व हिन्दू परिषद केर अंतरराष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष डा. प्रवीण भाई तोगाडिया  सेहो प्रधानमंत्री केपात्र लिख क मांग कयलनि जे इ मुस्लिम सभ के कोनों स्थितिमे शरणार्थीक दर्जा नहि देल जाय , कियक त हिनका सभक सम्बन्ध जिहादी गुट सभ सं अछि. डा. तोगाडिया इहो मांग कयलनि जे इ मुस्लिम सभ कें स्थानीय मददगार कें सेहो दण्डित कयल जाय आ जे संगठन एकर मदद क रहल अछि ओकरा पर प्रतिबन्ध लगय. एहि सम्बन्धमे भाजपाक राज्यसभाक सांसद बलवीर पुंज एकटा नीक प्रश्न उठौलनि जे एहि मुस्लिम सभ कें यू.एन.एच.सी.आर.कार्यालय धरि कोन - कोन लोक सभ आनलक, एकर जांच होयबाक चाही . निवर्तमान गृहमंत्री पी. चिदम्बरम एहि प्रकरणक जांच केर आश्वासन त देलनि मुदा चिदम्बरमक मोन देखैत जाँच केर उमेद कम्मे अछि. 
..............................................................................................................................................
(साप्ताहिक पांचजन्य झंडेवालान, दिल्ली सं प्रकाशित  दिनांक २७ मई २०१२ केर अंक में मूल लेखक 
अरुण कुमार सिंहक हिन्दी लेख केर मैथिली अनुवादक छथि सूचना अधिकार कार्यकर्ता गोपाल प्रसाद.)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें